ग्रन्थ सूची डाटाबेस (अङ्कआधार)

जनादेश

भारतमे अनुवादसँ सम्बन्धित प्रत्येक गतिविधि हेतु एकटा समाशोधन गृह बनाएब।
डाटा प्रदत्त करबा लेल आ डाटाबेस रूपाङ्कन सम्बन्धी सुझावक लेल प्रो. जी.एन.देवी, भाषा संशोधन केन्द्र, बड़ोदराकेँ विशेष धन्यवाद।

ग्रन्थ सूची किएक?

ग्रन्थ सूची कोनो पोथीक सुव्यवस्थित अध्ययन आ विवरण थिक। ई शीर्षकक एकटा सूची थिक, जाहिमे कोनो विषय, भाषा, कालावधि वा कोनो आन सम्बन्धमे सामान्य सूचना समाहित भए सकैछ। एहि सूचीक प्रकृति चयनात्मक वा सविस्तारित भए सकैत अछि।

ग्रन्थ सूचीक उद्देश्य अछि देल गेल विषय सामग्रीक प्रसङ्गमे सूचनाकेँ संयोजित करब, जाहिसँ विषयक ज्ञान प्राप्त कएनिहारकेँ एकर आकलन करबामे सुविधा भए सकतनि। सूचना पोथीक सम्बन्धमे वा ओहि गतिविधिकेर परिणाम थिक। एहि तरहेँ ग्रन्थ सूची ओ साधन थिक जे पोथीक ऐतिहासिक विवरण प्रदान करैछ।

अनूदित ग्रन्थ सूचीक विकास सम्बन्धमे विशेष जानकारीक लेल एतए क्लिक करू।
  स्रोत :
  » अनुकृति (भाभासं – साहित्य अकादमी आ एनबीटी)
  » भाषा संशोधन केन्द्र, बड़ोदरा
  » ब्रिटिश लाइब्रेरिज ऑरिएन्टल एण्ड इंडिया ऑफिस कलेक्शन्स
  » विभिन्न प्रकाशकक सूची
  » केन्द्रीय सन्दर्भ पुस्तकालय, कोलकाता
  » भारतीय साहित्यक राष्ट्रीय ग्रन्थ सूची(एनबीआइएल)
  » दक्षिण एशियाई संघ सूची (शिकागो विश्वविद्यालयक दक्षिणी एशियाई विभागक पुस्तकालय)
  » यूनेस्को
  » वर्तमानमे एनटीएम इलनॉइज़ विश्वविद्यालय, अरबन शैम्पेन आदिक माध्यमसँ आर अधिक सूचना एकत्रित कए रहल अछि जकरा अंकीकृत कए शीघ्रहि डाटाबेसमे जोड़ल जाएत।

ग्रन्थ सूचीक शैली

जतए धरि ग्रन्थ सूचीक शैलीक प्रश्न अछि, विविध प्रकारक स्रोतमे विविन्न प्रकारक ग्रन्थ सूचीक प्रारूप रहैत छैक।

एहि प्रारूप हेतु साधारणतया दूटा प्रयुक्त दिशा-निर्देश अछि- एमएलए (आधुनिक भाषा संघ) आ एपीए (अमेरिकी मनोवैज्ञानिक संघ) प्रारुप। आधुनिक भाषा संघ शैली अनुसन्धानकेर स्रोतकेँ उद्धृत करैछ वा विभिन्न विषय पर ग्रन्थ सूची निर्माण हेतु विस्तृत रुपेँ उपयोगमे अबैत पाओल गेल अछि। राष्ट्रीय अनुवाद मिशन सेहो एहि शैलीक अनुसरण करैत एकटा विशिष्ट संख्यात्मक पहिचान पद्धति विकसित कएने अछि।

एनटीएम द्वारा विकसित ग्रन्थ सूचीक अप्रतिम वैशिष्ट्य

ई ग्रन्थ सूची साहित्यिक एवं असाहित्यिक, दुहू विधासँ सम्बन्धित अनूदित शीर्षक पर केन्द्रित भए एनटीएम द्वारा विकसित कएल गेल। एकर अतिरिक्त, ई भारतमे सभ भाषामे प्रकाशित अनूदित शीर्षककेँ, एहि बात पर बिना ध्यान देने जे ओ संविधानक आठम अनुसूचीमे सूचीबद्ध अछि वा नहि, तकबाक प्रयास करैछ।

अनूदित शीर्षकक सूचनाकेँ एक भाषासँ विदेशी भाषामे आ विलोमत: समाविष्ट करबाक प्रक्रिया कार्यक्रमक एक भाग सेहो थिक।

एनटीएम एहि ग्रन्थ सूचीक माध्यमे एकटा विशिष्ट अभिज्ञान संख्या प्रस्तावित करैछ, जे कि भारतीय भाषामे अनूदित पोथीक हेतु आइएसटीएन(भारतीय मानक अनुवाद संख्या) रूपमे जानल जाएत। आइएसटीएन सर्जन करबाक कारण अछि- अनूदित शीर्षककेँ नियत रखबाक, जे कि विभिन्न भारतीय भाषामे प्रकाशित अछि। ई निश्चित रूपेँ शोधार्थी/ विद्वान्/ अध्यवसायीकेँ देल गेल विषयमे, कोनो विधा विशेषमे, साल विशेष आदिमे प्रकाशित पोथीक संख्याक विषयमे जानकारी प्राप्त करबामे मदति करत।


एनटीएम अति अभिगम्यताकेँ सुगम बनएबाक हेतु एहि अङ्क आधारकेँ तरंग-आधारित रखबाक निर्णय कएलक अछि। ई नव-नव सूचनाक सङ अङ्क आधारकेँ सुधार करबाक अवसर सेहो प्रदान करत।

जँ अहाँ लग अनुवादसँ सम्बन्धित कोनो ओहन सूचना अछि, जे डाटाबेसमे उपलब्ध नहि छैक, तँ अहाँ ओहि सूचनाकेँ एहि डाटाबेसमे जोड़ि एनटीएमक सहायता कए सकैत छी। अहाँ एकटा प्रयोक्ता खाता तैआर कए अनुवादसँ सम्बन्धित सूचनाकेँ अपन संज्ञानमे राखि सकैत छी। ई सूचना अहाँ ntmciil@gmail.comपर सेहो पठा सकैत छी, जे एनटीएम द्वारा डाटाबेसमे अद्यतन कएल जाएत। जँ अहाँ प्रकाशक छी, तँ प्रयोक्ता सुझाब रूपमे एहि डाटाबेसमे अद्यतन अनुवादकेर सूचना प्रत्यक्ष रूपेँ समाविष्ट कए सकैत छी। ई सूचना अहाँ ntmciil@gmail.comपर सेहो पठा सकैत छी, जे एनटीएम द्वारा डाटाबेसमे अद्यतन कएल जाएत।

ग्रन्थ सूची खोज

भारतीय भाषामे कोनो अनूदित शीर्षकक सूचना हेतु एतए ताकू