अनुवाद कार्यभार

एनटीएम सम्पूर्ण देशकेर प्रकाशकक सहयोगसँ भारतीय भाषामे अनुवादकेँ प्रकाशित करैत अछि। ई प्रकाशकलोकनि या तँ ओहि चयनित पोथीक कॉपीराइट प्राप्य छथि वा जे भारतक विभिन्न क्षेत्रमे रहि भारतीय भाषामे पोथी प्रकाशित करैत छथि। एनटीएम अनूदित ग्रन्थक नीक जकाँ विपणन एवं वितरणक लेल ओहि प्रकाशकक सङ्ग हाथमे हाथ दए कार्य कए रहल अछि।

मिशन अनुवादकेँ प्रकाशमे अनबाक हेतु दूगोट सम्भावित तरीका अपनौलक अछि :

  » सम्बद्ध प्रकाशक स्वयं एहि परियोजनाकेँ लए लेथि आ अनुवादकेँ प्रकाशित करथि। एनटीएम एहि प्रक्रियामे आंशिक रूपेँ सम्मिलित अछि, या तँ खर्चामे एकगोट सहभागीक रूपमे वा शैक्षिक विशेषज्ञकेँ उपलब्ध करएबामे।
  » जँ सम्बद्ध प्रकाशक उक्त पोथीक अनुवादमे रुचि नहि लैत छथि, एनटीएम वाह्य स्त्रोतसँ अनुवाद करबाए प्रकाशन ओ वितरण भारतीय भाषाक प्रकाशककेँ दैछ आओर अनुवाद पर विशेष रूपेँ एनटीएमकेर स्वामित्व रहैछ। उक्त पोथीक कॉपीराइट धारक रॉयल्टी प्राप्त करैत छथि। जँ भारतीय भाषाक प्रकाशक पोथीक अनुवादमे असमर्थ छथि, एनटीएम अनुवाद करबैछ आओर कैमराजन्य कॉपी(सीआरसी) तैआर करबैत अछि। एनटीएम कैमराजन्य कॉपी भारतीय भाषाक प्रकाशककेँ दैछ आ प्रकाशक अनुवादित पोथीक प्रकाशन ओ वितरणक भार ग्रहण करैत छथि।

बादमे, ई अनुवाद कार्यभारक तैयारशुदा (टर्नकी) पद्धतिक रुपमे जानल जाइत अछि।