ट्रान्सलेशन टूडे
A Biannual Double-blind Peer-reviewed refereed UGC Approved Journal

ट्रान्सलेशन टूडे ट्रान्सलेशन टूडे एनटीएम द्वारा प्रकाशित अर्द्धवार्षिक पत्रिका थिक, जाहिमे अनुवाद आ ओहिसँ सम्बन्धित विषयक विशेष आलेखसभ अछि। ई विशिष्ट विद्वान द्वारा गहन-समीक्षित एकगोट मानक अन्तरराष्ट्रीय पत्रिका थिक, जे अनुवाद अध्ययन आ ओहिसँ सम्बन्धित विषयक शोध लेख, विद्वान एवं अनुवादमे लागल अनुवादकक साक्षात्कार, समीक्षित लेखादि प्रकाशित करैछ। एकर दायित्व अछि पनपैत अनुवादककेँ अभिविन्यस्त करब आ विद्वानसभक बीच शैक्षिक आदान-प्रदान करबाक एकटा मंच देब। ई अनुवादककेँ विस्तृत परिक्षेत्र ओ सामाजिक दायित्वकें वहन करबाक सम्भावना दिस ध्यानाकर्षण करैछ। पत्रिकाक ई-प्रारूप देखबाक लेल एतए खटखटाउ
 

ई-जीन

ट्रान्सलेशन टूडे भारतीय भाषासँ आ भारतीय भाषा सभमे वास्तविक अनुवाद संगहि निबन्ध आदि प्रकाशित कए अनुवाद अध्ययन विधाक विस्तार आ संवर्द्धनमे सहयोगक प्रस्ताव करैछ।

ट्रॉन्सलेशन टूडे अनुवाद एवं अनुवादकसँ सम्बन्धित मुद्दाक विषयमे, कटाक्ष, जे समस्या दिस आकृष्ट करत वा आवश्यक समाधान प्रस्तुत कएने बिना विश्लेषणात्मक व्याकुलता, निबन्ध समीक्षा आओर अनुवाद आ अनुवाद परहक पोथीक समीक्षा, वास्तविक अनुवाद, सम्पादककेँ पत्र, एक गोट त्वरित ट्रॉन्सलेशन टूडे खोज एवं अनुवादक, सहयोगी आ लेखकक सूचीजन्य बहुत दीर्घ निबन्ध प्रस्तुत करत। ई भविष्यमे नव अंश, जेना- अनुवादकक रोजी बजार, अनुवाद सॉफ्टवेयर बजार आ आनसभकेँ जोड़ि सकैत अछि। सामान्य रूपमे अनुवादकेर अभ्यन्तर उत्पन्न होइत समस्या आ व्याकुलता, आओर विशेष रूपेँ भारतीय भाषासँ आ ओहिमे अनुवाद, एतए बेसी-सँ-बेसी ध्यान प्राप्त करैछ। यद्यपि उक्त पत्रिका मात्र भारतीय भाषासँ सम्बन्धित मुद्दासँ सम्पर्क धरि अपनाकेँ सीमित नहि राखत।

व्याकरणिक सदृश् विचार, जे कि आब भारतक हेतु नव नहि अछि, अनुवाद चिन्तनकेर एक प्रारूपक रुपमे भारत आ विकासशील देशक हेतु नव नहि अछि। एहि बहुभाषी देशसभमेसँ कतेको ठाम अनुवादकक एकटा सपना अछि।
  » हमसभ अनुवाद गतिविधिमे तेज गतिकेर प्रयास करैत छी।
  » हमरा सभक प्रयास अनुवाद अध्ययनकेँ अग्रणी बनएबाक अछि।
  » हमरा सभक प्रयास अनुवादित शब्दमे उत्कृष्टता अनबाक अछि।