फॉक्स

1. कोना हम एनटीएमकेर हिस्सा भए सकैत छी? हम एनटीएम हेतु अनुवादक रुपमे पंजीकृत होअए चाहैत छी। हमरा की करबाक चाही? कोना हम अन्तरस्नातक छात्रक रुपमे एनटीएममे नामांकित भए सकैत छी?
उत्तर . अहाँ http://www.ntm.org.in/languages/english/login.aspx. क माध्यमे अपन विस्तृत जीवनवृत्त जमा कए सकैत छी। अहाँकेँ आश्वस्त कएल जा रहल अछि जे शीघ्रहि हमरासभ द्वारा ध्यान देल जाएत।

2. हम एक गोट विशिष्ट पोथीक अनुवाद आ प्रकाशन करए चाहैत छी। कोना हम एनटीएमक अभ्यन्तर ई कार्य कए सकैत छी?
उत्तर . अपन कार्यक एक गोट नमूनाक सङ अपन परियोजना विस्तृत प्रस्ताव उपस्थित करी। हमर दल ओकर मूल्याङ्कन करताह आ तखन अहाँकेँ ओहि विशेषज्ञसभक प्रतिक्रियासँ अवगत कराओल जाएत।

3. एनटीएम सङ सम्बद्ध होएबाक हेतु कीसभ पूर्वापेक्षा अछि ?
उत्तर. एनटीएम अनुवादक हेतु ओकर अपेक्षाक मामिलामे अनुपम अछि। स्रोत भाषा आ लक्ष्य भाषामे अहाँक बेसी-सँ-बेसी दक्षता आओर समय सीमामध्य कार्य पूरा करबाक अहाँक क्षमतासँ बेसी एनटीएम अहाँसँ नहि चाहैत अछि। एनटीएमक हेतु एकटा प्रत्याशित अनुवादक होएबाक लेल आयु, योग्यता आ स्थानादिक कोनो बाध्यता नहि अछि।

4. हमरा ठेकानकेर बाध्यता अछि। की, तैओ हम एनटीएम सङ जुड़ि सकैत छी?
उत्तर. एनटीएमकेर संरचना अनुवाद उद्योगकेँ उन्नति आ जनिका अनुवाद हेतु उत्कंठा छनि, तनिका उत्साहित करबाक हेतु भेल अछि। एहि परियोजना हेतु ठेकान कोनो बाधा नहि अछि। अहाँ विश्वक कोनो भागसँ एहि परियोजनाक हिस्सा बनि सकैत छी।

5. बहुसंचार माध्यम अनुवाद की थिक ?
उत्तर. अधिकांश लिखित आ मौखिक दस्तावेज अनूदित वा भाषान्तरित अछि। बहुसंचार माध्यम अनुवाद ओहि सभ विषयकेँ ग्रहण करैछ जे नीक जकाँ ओहि दुहू शीर्षकक अन्तर्गत नहि अबैत अछि। उदाहरणस्वरूप, कथन आ पार्श्व-अवाज सेवा प्रदान करब, सङ्गहि लिखित भाषान्तरण, तरंग ठओर अनुवाद आ बहुसंचार माध्यम डेस्कटॉप प्रकाशन बहुसंचार माध्यमकेर सीमाक अन्तर्गत अबैत अछि।

6. की! पार्श्व-अवाज आ कथन अहाँक अनुवाद परियोजनाक हिस्सा होएत?
उत्तर.भाभासं व्यापक रुपेँ वृत्तचित्र आ परियोजनाक उपस्थापन कएल अछि, जे पार्श्व-ध्वनि, कथन आ बहुतोक सङ व्यवहृत भेल अछि। एहि संस्थानकेर परिसरमे एहि प्रक्रियाकेँ सुगम बनएबाक हेतु एक गोट व्यावसायिक शिल्पशाला सेहो छैक। तेँ, जँ कोनो परियोजनाकेँ एहि विशेष उपकरणक आवश्यकता छैक, तँ एनटीएम निश्चित रुपेँ ओकर उपयोग करत।

7. अहाँ कोनो अनुवाद उपकरणक उपयोग करबाक हेतु जाए रहल छी?
उत्तर. उच्च महत्तापूर्ण उपकरण, जेना- शब्दकोश, अनुवाद हेतु स्रोत सॉफ्टवेअर, शब्दजाल आदिकेर प्रादुर्भाव एनटीएमकेर लक्ष्यसभमेसँ एक अछि। उक्त उपकरण हुनकासभकेँ उपलब्ध कराओल जाएत, जेसभ एहिसँ लाभान्वित होएताह।

8. कोनो विषय-वस्तुक अनुवाद करबाक क्रममे हमरा कोन प्रारूपक अनुसरण करबाक चाही?
उत्तर.

9. कोना हम अनुवाद हेतु एकटा आकलन प्राप्त कए सकैत छी ?
उत्तर.

10. चयनित अनुवादक हेतु कोनो रुपाङ्कित/ अभिविन्यास पाठ्यक्रम होएत?
उत्तर. एनटीएमकेर लक्ष्य सभमेसँ एक मुख्य अछि अनुवादक शिक्षण, जे एहि क्रियाकलाप हेतु विशेष प्रशिक्षणक रुपमे आवश्यक अछि। एनटीएम सहज बनाओत- संक्षिप्त अवधिकेर प्रशिक्षण कार्यक्रमक आयोजन द्वारा भावी अनुवादक, अनुवादक हेतु पाठ्यक्रम मापदण्ड आ संपुष्टिक परिस्थितिक प्रादुर्भाव, अनुवाद तकनीकमे विशिष्ट पाठ्यक्रमक विकासमे उत्साह, समर्थन आ सहायता, शोध परियोजनाक संबर्द्धन, अध्येतावृत्ति कार्यक्रमक संगठन, कार्यशालाक आयोजन आओर पुनरीक्षण, सम्पादन आ कॉपी-सम्पादन अनुवादमे अनुवादककेँ जोड़बाजन्य आओरो बेसी अङ्गीकार करबामे।

11. की! हम अपन इच्छाकेर पोथीक अनुवाद कए सकैत छी? वा एनटीएम अपन इच्छित आ पाठ्य पुस्तक, दुहूक सङ हमरा उपलब्ध कराओत?
उत्तर.एनटीएमक ज्ञान-पाठ्य डाटाबेस अनुवाद सामग्रीक स्रोत होएत।