भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेस

भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेस एनटीएम द्वारा कएल गेल एक प्रयास थिक, जकर उद्देश्य अछि भारतक प्रत्येक विश्वविद्यालय ओ अन्य शैक्षणिक संस्थासभक विषयमे सूचना अग्रसारित करब। ई ओहि विश्वविद्यालयसभमे पढ़ाओल जाए रहल विभिन्न पाठ्यक्रम, ओकर पाठ्यविवरण आ अध्ययन सूचीक सूचना प्रस्तुत करैछ। एतए सूचीबद्ध संस्थाक तरंग-पता सेहो प्राप्त कएल जाए सकैछ। सम्प्रति एहि डाटाबेसमे विश्वविद्यालय अनुदान आयोग(यूजीसी) द्वारा मान्यता प्राप्त 155 गोट विश्वविद्यालयक विवरण अछि। एहि संस्थासभमे पढ़ाओल जाए रहल विभिन्न विषयक पाठ्य एवं पाठ्यविवरणिकाक सूचना एहि डाटाबेस पर उपलब्ध अछि। एहि विश्वविद्यालयसभमे निर्धारित पोथीक शीर्षकक डिजीटल सूची, ओकर लेखक, प्रकाशनक आदिकेर नामक सङ्ग सम्पूर्ण जानकारी सेहो सन्निहित अछि।

एहि मापदंडमे खोज प्रक्रिया देशक कोनो संस्थाक पाठ्यक्रम एवं पाठ्यविवरणिकाक विषयमे अद्यतन जानकारी प्राप्त करबामे विद्वान एवं शिक्षाविद्केँ सहायता करतनि। विश्वविद्यालय बोर्ड अपन पाठ्यक्रममे संशोधनसँ पूर्व पाठ्यक्रम विवरण ओ अन्य विश्वविद्यालयक पाठ्यक्रमक सूचनाकेँ परखि ग्रामीण ओ शहरी क्षेत्रकेर विश्वविद्यालयक बीच समानता प्रदान करबाक समीक्षा कए सकैत अछि। एनटीएम, भविष्यमे, इच्छुक व्यक्तिक हेतु उपलब्धताकेँ बढ़एबाक हेतु मुद्रित संस्करणक सङ्ग सीडी आ अन्य सुविधाजन्य संचार माध्यममे डाटाबेस प्रदान कए सकैछ।