लक्ष्य एवं उद्देश्य

एहि मिशनकेर अल्पकालिक लक्ष्य अछि

  » महाविद्यालय एवं विश्वविद्यालयमे पढ़ाओल जाइत प्रत्येक मुख्य विधाक ज्ञान-पाठ्यक अनुवादकेर प्रचार ओ प्रकाशन।
  » विभिन्न क्षेत्रमे अनुवादकक प्रमाणन एवं प्रशिक्षण।
  » पाँचटा डाटाबेस, जेना- भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेस, अनुवादकक राष्ट्रीय पंजी(एनआरटी), प्रकाशक डाटाबेस, अनुवाद ग्रन्थसूची, संकाय डाटाबेस/विशेषज्ञ सूची, शब्दकोश आ शब्दावली डाटाबेस, क निर्माण एवं देखरेख।
  » अनुवादक शिक्षण कार्यक्रमक अन्तर्गत लघु अवधिकेर अभिविन्यास पाठ्यक्रमक संचालन।
  » अंग्रेजी आ भारतीय भाषाक मध्य मशीनी सहाय्य अनुवादकेर संवर्द्धन।
  » अनुवाद उपकरण, जेना- शब्दकोश ओ विश्वकोशक विकास।
  » भारतीय भाषामे वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दावली निर्माणक हेतु वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दावली आयोगक सङ समन्वय करब।

मिशनकेर दीर्घ अवधिक लक्ष्य होएत

  » अनुवाद स्मृति, शब्द-खोजकर्ता, शब्द जाल आदि हेतु सॉफ्टवेयर पर अन्वेषण ओ विकास लेल सहयोगक सुविधा।
  » शोध परियोजनासँ सम्बन्धित प्राकृतिक भाषा संसाधन ओ अनुवाद लेल अध्येता वृत्ति आ अनुदानकेर प्रस्ताव।
  » दू भाषाक बीच अनुवाद नियमावली निर्माण सन विशेष परियोजना हेतु विश्वविद्यालय/विभाग, जे अनुवादकेर डिग्री/डिप्लोमा पाठ्यक्रम चलबैछ, केँ अनुदान।
  » भारतीय भाषामे अनुवाद वा अनुवादसँ सम्बन्धित विषय ओ विश्लेषण आदिक प्रकाशनयुक्त पत्रिकाकेँ सहयोग।
  » कार्यक्रमक आयोजन, जेना- अनुवाद विषयकेर पोथीक विमोचन, क्षेत्रीय अनुवाद उत्सव, वाद-विवाद, पोथी प्रदर्शनी आदि, द्वारा अनुवाद आ अनुवाद क्रियाकलापकेँ दृष्टि-पटल पर आनब।
  » अनुवाद अध्ययन पर एकगोट विशेष शैक्षिक परिदृश्यक निर्माण करब आ एहि प्रकारेँ ओहि विषयकेँ सर्वबोधगम्य बनाएब।
  » अनुवादकेँ एकगोट व्यावहारिक पेशा बनाएब आ अनुवाद उद्योगकेँ स्थापित करब।

लाभार्थी

एनटीएमक ध्येय अछि एकगोट विशिष्ट ज्ञानी समाजक गठन। एकसँ दोसर भाषाक मौलिक ग्रन्थकेँ अनुवादकेर सुविधाक माध्यमसँ ज्ञानकेर समान वितरणमे वृद्धि एहि मिशनक प्रयास अछि। परिणामस्वरूप, ई छात्रकेँ समर्थ बनाओत, जनिका भाषा अवरोधक कारणेँ ज्ञानकें प्राप्त करबामे असुविधा होइत छनि। एनटीएम जीवनक विभिन्न क्षेत्रमे लागल बहुसंख्यकक हितकेँ सेहो ध्यानमे रखने अछि।
  » विभिन्न स्तरक विविध विषयक शिक्षकलोकनि
  » लेखक/ अनुवादक/ प्रकाशक
  » विभिन्न विश्वविद्यालय आ संस्थानकेर अनुवाद अध्ययन, भाषा विज्ञान एवं शोध विभाग
  » नव आ रोचक उद्यमक खोजमे लागल भारतीय भाषाक प्रकाशक
  » अनुवाद सॉफ्टवेयर विकासकर्त्ता
  » तुलनात्मक साहित्यक विद्वान्
  » साहित्य एवं ज्ञान पाठ्यकँँ अपन भाषामे देखबाक इच्छुक अध्यवसायी
  » अनौपचारिक शिक्षा प्रदान करबामे लागल स्वयंसेवी
  » सार्वजनिक स्वास्थ्य, नागरिक अधिकार, पर्यावरण, लोकप्रिय विज्ञान आदि हेतु कार्य कए रहल स्वयंसेवी संगठन
  » दूभाषिआकेँ ताकि रहल सरकार, प्राइवेट एजेंसी आ व्यक्तिविशेष
  » उपशीर्षक ओ बहुभाषी प्रसारणक खोजमे लागल फिल्म निर्माता
  » एफएम आ आन रेडियोघर, जनिका विभिन्न भाषामे आकाशवाणी कार्यक्रमक आवश्यकता छनि