सॉफ्टवेयर

नव प्रौद्योगिकी अपेक्षाकृत कम लागतपर द्रूत ओ अधिक मात्रामे अनुवादकेर रोमाञ्चक नव अवसर प्रदान करैत अछि। भारी मात्रामे विभिन्न संगठन मशीनी सहाय्य अनुवाद सॉफ्टवेयरक विकासमे सम्बद्ध अछि।

एनटीएम सी-डैक, टीडीआइएल, आइआइटी आदि द्वारा कएल गेल ओहि प्रयासकेँ नहि दोहराओत, जे कि पहिनहिसँ सरकार द्वारा व्यापक रूपसँ वित्तपोषित अछि। तैओ, मशीनी अनुवादकेर तकनीकी प्रगतिमे प्रशिक्षण आ किछु गतिविधिक लेल मानव संसाधनमेक विकास एवं सहसंयोजन ओ तालमेल प्रदान करबाजन्य अन्य सहायताक सुविधा प्रदान कए सकैछ।

एनटीएम, एकटा अंग्रेजी कनाडा कन्नड़ मशीनी अनुवाद पैकेज (नियम आधारित) इन-लैन केँ सेहो तैआर कए रहल अछि, जकर मुख्य उद्देश्य अछि देल गेल अंग्रेजी वाक्यकेँ कनाडामे कन्नड़मे स्वत: अनुवाद करब।
  » आवश्यक मूलभूत व्यवस्थाक निर्माण, खास कए डिजिटल उपकरण, जेना ऑनलाइन विश्वकोश, द्विभाषी शब्दकोश, अनुवाद स्मृति हेतु सॉफ्टवेयर आदि, जे कि अति कुशलतापूर्वक ओ प्रभावकारी अनुवादकेँ तुरन्त संपुष्टित कए सकैछ।
  » शाब्दिक संसाधन, जेना- ई-शब्दकोश, शब्दजाल, भाषा विश्लेषण एवं संश्लेषण उपकरण, शब्दानुक्रमणिका, आवृत्ति विश्लेषक आदि, मशीनी अनुवाद प्रक्रियाक आवश्यक अंग थिक। ई सभटा कोनो एक संस्था द्वारा निर्मित ओ अद्यतन नहि कएल जाए सकैछ, अपितु एकरा लेल दीर्घ अवधिकेर बहु-सांस्थिक सहभागिताक आवश्यकता पड़ैछ। एनटीएम सभा ओ ऑनलाइन परिचर्चाक माध्यमे निरन्तर पारस्परिक क्रियाक सङ सहभागिताक रूपमे कार्य करबाक अवसर प्रदान कए सकैछ।
  » एनटीएम द्वारा चयनित ग्रन्थ आ ओकर अनुवाद जतबा धरि सम्भव हो, पूर्णरूपेण डिजिटल रूपमे उपलब्ध कराओल जएबाक चाही। एनटीएमकेँ सुनिश्चित करबाक चाही जे डिजिटल सामग्रीक ई संपन्नता मानकीकृत XML वाक्यांश ओ DTD क सङ मानकीकरणक माध्यमे अद्यतन अछि।
  » आइ-काल्हिक अन्तरराष्ट्रीय रूझान व्याख्या आ संरेखनक सङ उच्च गुणवत्ताक समानान्तर कॉर्पोराकेँ विकसित कए रहल कार्पोराक विकास करब अछि। एहि तरहक व्याख्यायित कॉर्पोराक व्यवहार मशीनी शिक्षण विधिक सङ मशीनी अनुवाद प्रणाली प्राप्त करबाक लेल कएल जाइत अछि। एहि डाटाक विशुद्ध मात्रा ओ आवश्यक संतोषजनक प्रारम्भिक निवेशकेर प्रयासक परिमाण, जे कि पृथक्-पृथक् संस्था द्वारा मानक रूपमे सम्भव नहि अछि; तैओ, एनटीएम एहन प्रयासकेँ सुविधा आ किछु सहायता प्रदान कए सकैछ।