शब्दावली

ज्ञान-पाठ्यक अनुवादमे तकनीकी एवं वैज्ञानिक शब्दावलीक अनुवाद एवं मानकीकरण एक प्रारम्भिक आवश्यकता थिक। एखन धरि, भारतीय भाषासभमे शब्दावलीक प्रयोगमे एकरूपता नहि आबि सकल अछि। किछु भाषासभमे, जेना तमिल, बंगला, एकसँ बेसी तकनीकी शब्दावलीक स्रोत अछि, जखन कि किछु अन्य भाषासभमे एकदमे शब्दावली उपलब्ध नहि अछि। एनटीएम वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दावली आयोग(सीएसटीटी)केर सहयोगसँ भारतीय भाषामे तकनीकी शब्दावलीक मानकीकरणक दिशामे तत्पर अछि। एनटीएमक ई प्रयास बाइसोटा संवैधानिक भाषामे वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दकेँ विकसित ओ परिभाषित करबाक दिशामे वैज्ञानिक एवं तकनीकी शब्दावली आयोग(सीएसटीटी)केँ पुष्ट करत, जाहिसँ ज्ञान-पाठ्यक शीघ्र ओ सुन्दर अनुवाद सम्भव भए सकत।