अनुवादकक प्रमाणन एवं प्रशिक्षण

विस्तृत परियोजना विवरणमे उल्लिखित भारतमे अनुवादकेँ एक गोट उद्योगक रुपमे स्थापित करबाक क्रममे एनटीएमक कार्यनीतिमे सँ एकटा योजना अछि अनुवादकक प्रमाणन। एनटीएम विश्वास अछि जे एहिसँ अनुवादककेँ विस्तृत पटल पर आनल जाए सकत।

एनटीएम अनुवादक राष्ट्रीय पंजीक अद्यतन करैत अछि, जतए पाँच हजारसँ बेसी अनुवादक पंजीकृत भए चुकल छथि।एनटीएम भारतक विभिन्न क्षेत्रमे अनुवादकक हेतु कतेको अभिविन्यास कार्यक्रमकेँ आयोजित करैत अछि, जाहिमे विभिन्न भाषा ओ क्षेत्रक विशेषज्ञ सम्मिलित होइत छथि आ हुनका सभसँ जानकारी प्राप्त कएल जाइछ।

सम्प्रति, एनटीएम अनुवादकक प्रमाणन एवं प्रशिक्षणमे लागल व्यक्ति/संस्था, जेना- अनुवाद अध्ययन एवं प्रशिक्षण विद्यालय, इग्नू, भारतीय गुणवत्ता परिषद(क्यूसीआइ) आदि, सँ सम्पर्क कए रहल अछि। एनटीएम प्रमाणन कार्यक्रममे लागल विभिन्न संस्था ओ एजेन्सीसँ सम्बद्ध विशेषज्ञ दलकेर सङ किछु बौद्धिक-विचारात्मक सत्रक आयोजन कए चुकल अछि। शीघ्रहि तरंगजाल पर प्रमाणनकेर पद्धति आ कार्यप्रणालीक घोषणा कएल जाएत।

एनटीएम एक गोट अनुवादक-प्रशिक्षण कार्यक्रमक योजना सेहो विकसित कए रहल अछि। हमसभ भारत ओ विदेश, दुहूठाम पहिनहिँसँ संचालित अनुवादक-प्रशिक्षण कार्यक्रमक सिलेबस ओ पाठ्य-विवरणकेँ चयन कए रहल छी। एनटीएम प्रशिक्षण कार्यक्रमक रुपरेखाक हेतु विशेषज्ञ ओ विभिन्न संस्थाक सङ सेहो कार्य कए रहल अछि। समय आओत जखन देशभरिमे प्रशिक्षण कार्यक्रम प्रारम्भ कएल जाएत।