ज्ञान-पाठ्यक चयन

प्रमुख रुपेँ नियत ग्रन्थक सूची भारतीय विश्वविद्यालय डाटाबेससँ तैआर कएल गेल अछि, जाहिसँ वर्तमानमे एनटीएम द्वारा अनुवाद हेतु चिन्ह्वित ओ चयनित ज्ञान ग्रन्थ लेल जाएत। ई सूची विशेषज्ञ द्वारा परखल गेल अछि। भारतीय भाषाक हेतु एहि पोथीसभक माँग पर विभिन्न भाषाक उक्त विषयसँ सम्बद्ध शिक्षक, छात्र आ अन्य विशेषज्ञ लोकनिसँ सम्पर्क कएल गेल अछि। सूचीकेँ आगू जाँच कएल गेल आ ओ पोथी, जाहिसँ बहुतो संख्यामे छात्र एवं शैक्षणिक समुदायकेँ लाभ होएतनि, क सूची तैआर कएल गेल। अंतत: ज्ञान-पाठ्यक उपसमिति आ एनटीएम- परियोजना सलाहकार समिति ओहि शीर्षकसभकेँ मान्यता प्रदान करैछ।

प्रारम्भ करबाक हेतु, एनटीएम विशेषज्ञ द्वारा अनुमोदित अनुवाद हेतु एकैस विधाक पोथीकेँ संगृहीत कएलक अछि आओर एहि विधासभक 105 टा अनूदित ग्रन्थकेँ बाहर करबाक हेतु कार्य कए रहल अछि।