परियोजनाक उद्देश्य

एनटीएमक मूल क्रियाकलाप होयतः
1. आठम अनुसूची मे सम्निलित सब 22 भारतीय भाषामे वैज्ञानिक ओ तकनीकी शब्दावलीक विकास
2. अनुवादक केर शिक्षण
  - अल्पकालीन प्रशिक्षण कार्यक्रम केर आयोजन
- भाषाक भागक रूपमे अनुवादक केर लेल पाठ्यक्रम तैयार करब
- प्रशिक्षण कार्यक्रम
- अनुवाद प्रौद्योगिकी ओ ओहिसँ संबंधित क्षेत्रमे विशिष्ट पाठ्यक्रमक विकास
- अध्येतावृति कार्यक्रम
- शोध परियोजनाकेँ प्रोत्साहन
3. सूचनाक प्रसार
4. उच्च श्रेणीक अनुवादक प्रचार-प्रसार ओ प्रोत्साहन
5. मशीनी सहायता प्राप्त (MAT) ओ मशीनी अनुवाद (MT)केँ प्रोत्साहन
  - भारतीय भाषा ओ अंग्रेजीक बीच
- एक भारतीय भाषासँ दोसर भारतीय भाषाक बीच
- भारतीय भाषा आर प्रमुख विदेशी भाषाक बीच
6. उच्चकोटि केर अनुवादक लेल उपकरण जेना शब्दकोश, पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, शब्दखोजकर्ता, ऑनलाइन देखब आर अनुवाद मेमोरीक लेल स्रोत-सॉफ्टवेयर आदि तैयार करब, आर इहो पता करब जे कि देख’ मे ई सभ सुविधा नवीनतर आर विस्तृत पृष्ठभूमिक जेना मोबाइल उपकरणमे उपलब्ध कराओल जा सकत।