लक्ष्यक लाभार्थी

एहि मिशनक लक्ष्यक अंतर्गत लाभार्थीक एकटा कतार छैक मुदा एनटीएम सभसँ पहिने समाजक पिछड़ल ओ कमजोर वर्गक छात्र/छात्राक (मुख्य रूपसँ ग्रामीण आर अर्ध-शहरी क्षेत्रक) संगहि-संग विशेष रूपसँ सामाजिक-अवस्थिति ओ पृष्ठभूमिक कारणेँ पिछड़ल जाति आ वर्गसँ संबंधित लोग जिनका, तकनीकी ओ वैज्ञानिक ज्ञान धरि हुनका सभक पहुँच नहि केर बरोबरि छैनि किएक तँ एहि तरहक सभ पाठ प्रायः अंग्रेजीमे उपलब्ध अछि ओहि पर अपन ध्यान केन्द्रित करत। ई मिशन अपन मूल उद्देश्यकेँ तखनहि प्राप्त क’ सकत जखन विभिन्न विषयक अनूदित मूल पाठ ओहि वर्ग ओ समुदाय धरि सुलभ क’ देत जे समाजक हाशिया पर अपन जीवन व्यतीत क’ रहल छथि।

पहुँच बनयबाक क्रियाकलापक क्रमहिमे विशेष स्तर पर विभिन्न समूहकेँ समानान्तर लाभ भेटत, जेना:

1. ओ आम लोकनि जे अपनहि भाषामे साहित्यिक आर ज्ञान मूलक पाठकेँ पढ़बाक लेल इच्छुक छथि,
2. ओहन अनुवादक जिनका वृहत पैमाना पर नियुक्त कैल जायत आर हुनका सभकेँ उचित पारिश्रमिक देल जयतन्हि,
3. भाषामे नवीनतम ओ रूचिकर पोथीक खोज कर’ वला प्रकाशक,
4. विद्यालय, महाविद्यालय ओ विश्वविद्यालयमे शिक्षण कार्यमे संलग्न शिक्षकगण,
5. अनौपचारिक शिक्षामे संलग्न स्वंसेवक,
6. लोक स्वास्थ्य, लोकाधिकार, पर्यावरण, विज्ञानक लोकप्रियता सन क्षेत्रमे काज क’ रहल एनजीओ,
7. दुभाषियाक खोजमे लागल अभिकरण,
8. पर्यटक आर विदेशी विद्वान जिनका दुभाषियाक आवश्यकता छनि,
9. फिल्म निर्माता, प्रस्तुतकर्ता आर प्रचारक जे फिल्मक उपशीर्षक लिखएबाक इच्छुक छथि,
10. रेडियो आर दूरदर्शन कार्यक्रमक निर्माता जे विभिन्न भाषामे अपन कार्यक्रमक प्रसारण कर’ चाहैत छथि,
11. अनुवाद प्रशिक्षणार्थी,
12. विश्वविद्यालय आर अन्य संस्थानक अनुवाद विभाग,
13. अनुवादसँ संबंधित विभिन्न क्षेत्रक अनुसंधित्सु,
14. अनुवादक लेल सॉफ्टवेयर बनाब’वला,
15. तुलनात्मक साहित्यक विद्वान

उच्च कोटिक अनुवाद उद्योगक आरंभ करबाक हेतु ‘अनुवादक केर लेल राष्ट्रीय रजिष्टर’ केँ विस्तारित करबाक प्रस्ताव कैल गेल अछि जे अनुकृति क वेबसाइट पर देल गेल छल, आ पूर्वहिमे साहित्य अकादमी द्वारा प्रकाशित कयल जा चुकल अछि। एकरा संगहि-संग अनुवादक केर संघ (जे एहि समय देशमे कतेको अछि) आर निजी प्रकाशन भवनसँ अनुवादक केर समूहकेँ सेहो सम्मिलित करब पसिन्न कएल जाएत। सभटा गतिविधिकेँ व्यावसायिक रूपसँ आयोजित कएल जाएत आओर ओहि सभटा सरकारी ओ दोसर अभिकरणकेँ सेहो सेवा प्रदान कएल जाएत, जिनका कोनो निश्चित पाठक तय समयावधिक अंतर्गत अनुवादक आवश्यकता अछि। एकर अतिरिक्त ‘अनुवाद मेला’ (एतय धरि जे छोट शहरमे सेहो अनुवाद मेला ओ स्वानुभूतिक गतिविधक) आयोजन आ अनुवादक केर व्यावसायिक शिक्षण कार्यक्रम आयोजित करब जे उचित मानव संसाधनक कार्यक्षमता ओ पहचानमे मदद क’ सकय। हम सभ आशा करैत छी जे ई पहल एक वृहत अनुवाद उद्योगक रूपमे विकसित होएत।

आम लोक धरि बेसी सँ बेसी लाभ पहुँचयबाक लेल आओर एहु लेल जे ज्ञान आधारित मूल पाठ केर आवश्यकता हमरा सभक शिक्षण आर अनुसंधान संस्थानक माँग केँ पूरा कर’मे सहायक होएत, मुद्रित पोथीक मूल्य संतुलित रूपमे तय कएल जायत, मुदा ओहि लोकक लेल जे अनुवाद धरि अपन पहुँच बनाबय चाहैत छथि। एहन सभटा मूल पाठकेँ ई-पुस्तकक रूपमे नेटवर्कसँ जोड़ि कए एकटा पैघ वेबसाइट द्वारा निःशुल्क उपलब्ध कराओल जाएत, जकरा सीआइआइएल केर सर्वरसँ एनटीएम द्वारा देखरेख ओ क्रियान्वयन कएल जाएत । उपयोगकर्ताक केवल एक रजिष्टरे टा उपयोग कएल जाएत ताकि हमर नेट पर आधारित पाठक अंतिम उपयोग कर’वलाक साक्ष्य रहि सकय। एहिसँ हम हुनकर प्रतिपुष्टि प्राप्त करबाक लेल सक्षम भ’ सकब। अंततः तैयार कएल गेल अनुवाद उपकरण जेना शब्दकोश, पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, शब्दखोजकर्ता, व्युत्पत्तिविषयक शब्दकोश, शब्दानुक्रमणिका, दृश्य-श्रव्य शब्दकोश इत्यादि उपलब्ध कराओल जायत, आर एकटा खुलल स्रोत्रक पैकेजक रूपमे अद्यतन कयल जायत।

एनटीएम अंकीय शब्दकोष (डिजिटल डिक्शनरी) आर मशीनक सहायतासँ विभिन्न भाषाक बीच संयुक्त अनुवादक सॉफ्टवेयरक निर्माणकेँ प्राथमिकता देत। मुदा जेना कि एकहि संग आइआइटी वला, टीएफआइआर आर आईआईएससीक अतिरिक्त सॉफ्टवेयरक पैघ-पैध आ नामी गिरामी संस्था सभ पछिलुका दूइ दशकसँ मशीनी अनुवाद केर कठिन मुश्किल पर लगातार काज क’ रहल अछि, किन्तु एखन धरि उच्च परिणामक त्रुटिरहित उपकरण बनएबामे सक्षम नहि भ’ सकल अछि। एहि कारणेँ एनटीएम एहि क्षेत्रकेँ बड़ सावधानीपूर्वक अवधारण करत। एहि सुझावक एक निश्चित भाग (जेना अंकीय शब्दकोष, शब्दकोश, पर्यायवाची/विलोम शब्दकोश, शब्दखोजकर्ता, इत्यादि) केँ दोसर निश्चित भाग (जेना स्वचालित उपकरण) सँ पहिनहि लागू क’ देल जाएत।